मिथिला कम सँ कम एक स्वतँत्र राज्य कियाक नहि ?????
इतिहास गवाह अछि जे मिथिला एक संप्रभुत्व राष्ट्र छ्ल परंच वर्तमान मिथिला दुइ भाग मे बटल अछि, एक भाग बिहार राज्यमे आ दोसर भाग नेपाल मे। मिथिला क्षेत्र दुइ भाग मे।
इण्डियन मिथिला आ नेपाली मिथिला कह्बा मे दुइ टा संप्रभुत्व देशमे अछि। पर, खण्डित भागसँ मिथिलाक गरिमा, संप्रभुत्व द्शकोंसँ बिला गेल।
ऎहि दशासँ की सब गवेलहुँ जेना
१) मैथिली आखर : मिथिलाक्षर सीखबाकक लेल वेब पेजमे आ पत्रिकामे अवशेषक रुपमे देखि सकैत छी। संप्रभुत्व ह्राससँ, मैथिल अपन आख्रर के पुर्णरुपेण छोड़ि देलन्हि। मिथिला आखर पर बिहार सरकार जखन ने तखन प्रहार कोनो ने कोनो रुपमे देशक आजादी के बाद प्रहार पर प्रहार चलि रहल अछि। एखन नवीं-द्शमी कक्षासँ मैथिली हटा देल गेल। एना कतेक्को देखल जा सकैछ।
२) मिथिलाक बोली मैथिली: मैथिल अपन मैथिली बोलीसँ गौरवान्वित नहि महशुस करैत छथि। मैथिलीक अष्टम सुचिक महत्व केवल मिथिलाक विद्वान तक सीमित अछि। अवासी व प्रवासी मैथिल एके सोच व महौल अछि। हिन्दी व अंग्रजीक उपयोग घर-द्वार्मे कयलाहसँ अपने-आपमे विकसीत मैथिल के भुल-भुलैया पड़्ल छैथ। बिहार सरकार सदियोंसँ भरपुर एहि मैथिलक कमजोड़िक उपयोग कड़ैत अछि। ऎना कते दिन ???
मिथिलामे विद्वान कमी नहि अछि। विद्वान सब कलमसँ अपन मिथिला राज्यक लेल क्रान्तिक सत्तत माहौल बनौने छथि।
गैर मैथिलक परिवेषमे, MITHILA means :
M=Maithil
I=Integrity
T=Territorial
H=Harmony
I=Intellectual
L=Language
A=Association
३) जातिक बोल-बाला: जेना पंजाबी गर्व सँ कहैत अछि हम पंजाबी छी, बंगाल के रहनिहार बंगाली। तहिना जाति-पांजिके छोड़ि अपनहुँ सब कहि हम मैथिल छी। कतेको कहैत छ्थि परंच कतेको प्रवासी मैथिल नहि कहैत मे उचित बुझनाँ जा रहल छैन्ह। मिथिला पर सब जातिकें बराबरिकें अधिकार छैन्हि ततवा सबकें कर्तव्य छैन्हि जे मिथिलाक अपन आजादी लाबी।
मिथिलाक वर्तमान रुप
आबादी= तकरीबन ४ कड़ोड़
जिला=१९
लोक सभा=२२
विधान सभा=१२६
मिथिलाक जनता के सुन्निहार नेता: केअओ नहि, सब जाति के समीकरण के पीछा लागल रहैत छथि।
मिथिलाक विकास मैथिले द्वारा होयत, युवा मैथिल सोचु केना होयत जे मिथिला राज्य होय, देशक पैघ पार्टी एहि अभियानमे शामिल अपने आप नहि होयत। पहिले अपन २२टा लोक सभा सदस्य की सोचि रहल छथि,
जखन गोवा, छत्तीसगढ,झारखंड आओर कतेक राज्यक योग्यता बिहारसँ कम अछि तँ मिथिला राज्य कियैक नहि।
मिथिला राज्य हेबे करत पर कखन्हि, ई भविष्यक गर्त मे अछि, अहिं सब अपन विचार दीअ,जे मिथिला राज्य कियैक नहि???
Contact: karnaips@gmail.com
Monday, July 2, 2007
Subscribe to:
Posts (Atom)