Monday, December 3, 2007

ऐना केना भेल ? ऐना केना भेल ?

ऐना केना भेल ?
12/11/2007

एहि बेरि आमक गाछ मजरल, टिकुला भेल
बिहारि-बसातमे किछु रहल, किछु गिरल
जे बचल, चोरि भए गेल, आम
गामक आम चलि गेल
ऐना केना भेल ? ऐना केना भेल ?

माछ, पान, व मखान, छ्ल बड़् शान
करैत छी गुनगाण, मिथिला महान, मिथिला महान
बरसाति बाढ्, नेपालक पानिक उफ़ानि
बहा गेल, दहा गेल, हमर शान,
ऐना केना भेल ? ऐना केना भेल ?

अन्ध्राक माछ मिथिला मे,
मिथिलाक माछ मिथिलाक पत्रिका मे
वा इतिहास मे लिखा गेल,
नेपालक छोड़्ल पानि मे वा बाढि मे बहा गेल,
ऐना केना भेल ? ऐना केना भेल ?

पान आ मखान, शानक बात की कहू
नामी पान कलिकता, बनारस के
मल्लाहो माछ मखान छोड़ि,
जा बसल अछि, दिल्ली आ पंजाब् मे
बाढि मे सब बहा गेल, मिथिलाक के पुछैऽ,
ऐना केना भेल ? ऐना केना भेल ?

मित-बोली, मैथिली, कर्णविहीन मैथिल
नकलमे अकल, भुतला गेल शकल
की करु, रोज़गार व रेज़गारमे मिथिला छोड़्ल
छी टुअर प्रवासी, अपने-अपनेमे रमल, शब्दविहीन
ऐना केना भेल ? ऐना केना भेल ?

ऐना कते दिन, जते दिन ठाठशाही आ लाटशाही,
के झेलत मैथिलक तानाशाही, ककरा पर
मैथिली पर, मुस्कैत, फुफकारैत, ढव्-सा बेंग पर
शोनित शुन्न नहि, माँटि-पानि पुछि रहल
ऐना केना भेल ? ऐना केना भेल ?

माँटी-पानि नेहौराऽ करैत
की हमर पहिचान ?, कतऽ गेल हमर शान ?
के चोरेलक हमर गामक आम ?
कतऽ बिलाऽ गेल, माछ, पान आ मखान ?
ऐना केना भेल ? ऐना केना भेल ?

No comments: